इङ्ग्लैण्ड (अङ्ग्रेजी: England) बृहद् ब्रिटेन नामक द्वीपके दक्षिणी भागे स्थित एक देश हे । एकर क्षेत्रफल १,३२,९३२ वर्ग किलोमीटर हे । ई संयुक्ताधिराज्यके सबसे बड़ा निर्वाचक देश हे । इङ्ग्लैण्डके इलावा स्कॉट्लैण्ड, वेल्स आउ उत्तर आयरलैण्डो संयुक्ताधिराज्ये सम्मिलित हे । ई यूरोपके उत्तरपश्चिम दने अवस्थित हे जे मुख्यभूमिसे अङ्ग्रेजी चैनल द्वारा पृथकीकृत द्वीपके अङ्ग हे । एकर राजभाषा अङ्ग्रेजी हे आउ ई विश्वके सबसे सम्पन्न आउ शक्तिशाली देशमे से एक हे ।

इङ्ग्लैण्ड

England
इङ्ग्लैण्ड के झण्डा
झण्डा
राष्ट्रगान: आधिकारिक रूपे कौनो नै; संयुक्ताधिराज्यके राष्ट्रगान God Save the King (गॉड सेव द क्वीन) हे ।
 इङ्ग्लैण्ड  (हरियर) के अवस्थितिसंयुक्ताधिराज्य  (हल्का हरियर) मे
 इङ्ग्लैण्ड  (हरियर) के अवस्थिति

संयुक्ताधिराज्य  (हल्का हरियर) मे

राजधानी
आउ सबसे बड़का नगर
लन्दन
मान्यताप्राप्त राष्ट्रियभाषाअङ्ग्रेजी
मान्यताप्राप्त क्षेत्रीयभाषाकोर्निश
निवासीनामअङ्ग्रेज
सरकारसंयुक्ताधिराज्यके सरकार
एकीकरण
12 जुलाई 927
1 मई 1707
क्षेत्रफल
 कुल
Lua error in Module:Convert at line 1866: attempt to index local 'en_value' (a nil value).
जनसङ्ख्या
 2022 आकलन
5,71,06,398
 2021 जनगणना
5,64,90,048
जिडिपि (साङ्केतिक)2022 प्राक्कलन
 कुल
£21.62 खरब
 प्रतिव्यक्ति
£37,852
मुद्रापाउण्ड स्टर्लिङ्ग (GBP)
समय मण्डलयुटिसि+0 (ग्रीमास)
वाहन चलहेबामा
दूरभाष सङ्केत+44
आइएसओ ३१६६ सङ्केतGB-ENG
इण्टरनेट टिएलडि.uk3
  1. अङ्ग्रेजीके स्थापना वास्तविक प्रयोग द्वारा भेल हे । कोर्निशके क्षेत्रीय वा अल्पसङ्ख्यक भाषा लागि यूरोपीय चार्टरके अन्तर्गत आधिकारिक रूपे क्षेत्रीय वा अल्पसङ्ख्यक भाषाके रूपमे मान्यता प्राप्त हे ।
  2. राष्ट्रिय जनसङ्ख्या अनुमान (पिडिएफ) राष्ट्रिय साङ्ख्यिकी कार्यालयसे
  3. .eu एहु यूरोपीय सङ्घके भागके अन्तर्गत । आइएसओ ३१६६-१ GB हे, किन्तु .gb अप्रयुक्त हे ।

इङ्ग्लैण्डके इतिहासमे सबसे स्वर्णिमकाल ओकर औपनिवेशिक युग हे । अठारहमा शताब्दीसे लेके बीसमा शताब्दीके मध्य तक ब्रिटिश साम्राज्य विश्वके सबसे बड़ आउ शकितशाली साम्राज्य होवकरहलै जे ढेर महाद्वीपमे फैलल हलै आउ कहल जा हलै कि ब्रिटिश साम्राज्यमे सूर्य कहियो अस्त नै होवै । ओही समय पूरा विश्वमे अङ्ग्रेजीभाषा अपन छाप छोड़कै जौन कारण ई आझो विश्वके सबसे अधिक लोग द्वारा बोलल आउ बुझल जाएवाला भाषा हे ।

इङ्ग्लैण्डके धरातलके संरचनाके इतिहास बड़ी उलझनके हे । एहाँ मध्यनूतन (मायोसीन) युगके छोड़के प्रत्येक युगके चट्टान भेटहे जेकरासे स्पष्ट हे कि ई भाग बड़ भूवैज्ञानिक उथल पुथल लौकलै हे । आयरलैण्डके बृहद् ब्रिटेनसे अलगे भेल अपेक्षाकृत नवीन घटना हे । इङ्ग्लैण्डके डोवर जलडमरूमध्य द्वारा महाद्वीपेसे अलग भेल आउओ नया बात हे, जे मानव-जीवनकाले घटित कहल जा हे ।

धरातलके विभिन्नताके विचारसे इङ्ग्लैण्डके दु मुख्य भागे विभाजित कैल जा सकहे - ऊँच पठारी भाग आउ मैदानी भाग । ऊँच पठारी भाग इङ्ग्लैण्डके उत्तर पश्चिमी भागे भेटहे जे प्राचीन चट्टान द्वारा निर्मित हे । हिमयुगमे हिमसे झकाएल रहेके चलते एहाँके पठार घिसाके चिकना हो गेलै हे । दोसर दने मैदानी भाग नरम चट्टान, बलुआ पत्थर, चूना पत्थर आउ चिकना मट्टीके बनल हे । चूना पत्थरके नीचे गोलाकार पहाड़ी निर्मित हो गेलै हे, खड़िया (चाक) के पर्वतीय ढाल। नीचेके मैदानी भाग प्रायः दोमट मट्टीके बनल हे ।